#दै���िक गेल
Explore tagged Tumblr posts
Text
😷 जीबी तँ की- की ने देखी 🤔❓- HAPPY HYPOXIA
( लेखक: नागेश चन्द्र मिश्र )
😷 जीबी तँ की- की ने देखी 🤔❓- HAPPY HYPOXIA क नाम जँ कहियो सुननौ हेबै’, तँ ... ‘लाफिंग गैस’ जकॉं हँसीमे बिसरा गेल छल ! Happy Hypoxiaक चलते ...नीक थेहगर कोनो बयसक लोक कोरोनासं संक्रमित भए एतेक भयाक्रान्त भ’ गेल अछि जे..गाम - शहर सभ ठाम ऑक्सीजन सिलिंडर ले हुलि-मालि मचल छैक ! रोज़ कतेको आप्तजन ‘होम आइसोलेशन ‘ , अस्पताल, आई.सी.यू. क चक्कर में अपन - अपन इलाज करा रहल छथि वा ‘अनर्थ- अनहोनी’ कें वरण कय रहल छथि ! जिनका जरूरत छन्हिं, समय पर हुनका भले ऑक्सीजन सिलिंडर भेटन्हुँ वा नहिं ...मुदा .. बहुतो लोकमे हदस ततेक पैसि गेलैक अछि आ सिस्टम पर सँ विश्वास ततेक उठि गेलैक अछि ...जे...जेत्त’-तेत्त’ से कोना ...ऑक्सीजन सिलिंडरक जोगार क’के कतहु नुका कें राखि ली जे बेर - कुबेर काज दए सके , ताही चिंता मे बेहाल भ’ रहल अछि ❗️अइ विकराल परिस्थिति मे, बहुत लार्ज स्केल पर ...ऑक्सीजन सिलिंडरक कालाबाज़ारी- होर्डिंग सभटा भ’ रहल छैक ! एहनामे...हजारो-लाख मेट्रिक टन ऑक्सीजन आ ‘ऑक्सीजन एक्सप्रेस ‘ किछु काज दै’ बला नै बुझाय पड़ैत अछि !
“ PM - CM - DM फेल सिस्टम “ कतेको मीटिंग क’ लेथु - कतेको लॉक डॉउन आ डंडा बजारि लेथु - स्वास्थ्य विभाग कतेको प्रेस कॉंफ़्रेंस कय ‘लव बाबू’ आ ‘हर्ष बाबू’ 👉फूसि-फटकारि बला सरकारी डाटाक आधार पर ( वास्तविक तथ्य कें ‘कन्सील’ कए ) सामान्य लोककें बोल-भरोस दैत रहथुन्ह - ई कोरोनाक भयावहता कम जँ कहियो हैबो करत - तँ अपनहिं चालि- प्रकृतिक बलें - अइ मे ‘PM-CM-DM फेल सिस्टम ‘ क कोनो ख़ास योगदान रहय बला नहिं बुझाय पड़ैत अछि - सिकन्दर क़लन्दर कोनो पार्टीक सरकार आबि जाय, अइ सूप सँ ओहि सूप मे भट्टा सभ अहिना घुरियैत रहत ‼️
तँ , आब मूल प्रश्न छैक जे कि हम सभ हाथ पर हाथ धय बैसल - बैसल ऊपरवाला दिस मुँह बौने टुकटुकी लगौने रहू ❓करू तँ की करू ❓❓केकरहु गरियौने - ट्रॉल कयला आ ‘ब्लेम गेम’ सँ कोनो समाधान भेटै ब���ा नहिं अछि !
#आत्मनिर्भर भए अपना बुते जे कयल होयत - से करैत रहब ! ‘स्टैण्डर्ड ऑपरेटिंग प्रोसेड्योर’ क निर्वहन सेहो करैत रहब !! टीकाकरण अपन दुनू गोटा कें करा लेने छी ; धिया- पूता सभ पर ...जहिया ‘दाढ़ी बला मोदी जी’ कें सौजन्यसँ टीका भए जेतैन्ह - ओकर प्रयास जारी राखब !!!
सभ डॉक्टर साहब सभ ततेक परेशान भए चुकल छथि - जे , अख़बार - इश्तहार- सोशल वेबसाइट पर प्रिस्क्रिप्शन लिखि ‘ऑलरेडी सरेंडर’ क मुद्रा में हाथ ठाढ़ कए देने छथि - दवाईक दोकान सँ जे ‘लाइफ़ सेविंग ड्रग’ भेटल जायत - से खयने जायब , होमियोपैथी, एलोपैथी, आयुर्वेदिक- सभटा !!!! जँ , ई सभ कयने बॉंचि जाइ , तँ बड़ दिब .....बाकी , भगवान एक तेरा सहारा 🤞👏‼️
🇮🇳 🕉 सर्वे सन्तु निरामया: जय हिंद 🕉 🇮🇳
0 notes